गणेशजी के फुसलेबाक लेल
पार्वती'क होरिल शिव'क दुलरूआ माए'क कोरा सॅं उठू हमर गणेश बौआ कार्तिक के छोटकू मोदक के पेटू विघ्न'क गलघोंटू हमर गणपति बौआ शुभकार्य'क हेतु हमर गजानन बौआ चलू हम अहाॅं के मोदक देब यौ गणेश बौआ *** [होरिल-कोरा'क लेधूरिया बालक जे अखन तैक माए'क दूध पिबैत हो लेधूरिया- धूरा-माइट में लेटाइ वला बच्चा माए'क कोरा- माॅं के गोदी मोदक- लड्डू ] (स्वरचित) ~राजीव रंजन प्रभाकर