मोर्निंग वाक
मोर्निंग वाक
*******************************************************
हम- देखू; अहाॅं भोर में टहलल करु. आलस करनाय नीक गऽप नहिं. ओजन सेहो अहाॅं केर बढ़ल जा रहल ये. अहाॅं के हमर गऽप नै सोहाय ये तऽ कम से कम अप्पन स्वास्थ्य केर तऽ चिंता अहाॅं के अवश्य करऽक चाही.
ओ(तमैकत)-कि कहलिय? हम्मर weight बढ़ल जाय छै?अहाॅं अप्पन ओजन'क चिंता करु. बुझलिय नै! हमरा बेसी ज्ञान नै दिय.
हम- हम अप्पन ओजन'क चिंता करैत छी तैं न हम भोरे उठि टहलाब'क लेल निकैल जायत छी.अहूं टहल'ल करु.
ओ- हमरा पास कोनो अहाॅं जों कऽ टहलै वला जूत्ता अछि जे हमहूॅं अहाॅं जों कऽ मोर्निंग वाक लेल वाकिंग शू पहिर कऽ छमैक कऽ घर से निकलू.
हम-अच्छा इ बात. हमरा एकर तऽ ख्याले नै छल. आइये सांझ में आफिस से घूरैत काल हम अहाॅं लेल सेहो एकटा स्टेंडर कम्पनी के लेडीज वला वाकिंग शू नेने आयब.
*******************************************************
हम- उठू नै ये,छ बाजि गेल. आब तऽ अहाॅं लेल जूत्तो आबि गेल. छतो पर कम से कम टहलय नै जायब कि?
ओ-नै हम नै जायब. अहाॅं जाउ अपन स्वास्थ्य बनाबऽ लेल.
दोसर दिन-
हम-उठू नै. आइयो नै टहलै जाय के मोन ये कि?
ओ- बेसी हमरा भुकाऊ नै. एक बेर कहि देलौं नै कि हम नै जायब. सूतऽ दिय हमरा से कहि दै छी.
*******************************************************
सब दिनऽक यैह खिस्सा. भोर में टहलैक लेल जब हम उठय छी तऽ हुनको उठाऽबक कोशिश करैत छी. किंतु ओ सब बेर हमरा मुंह झाड़ि कऽ चुप कऽ छथि.
*******************************************************
किछु दिन'क बाद
डाक्टर- देखिए मैडम आपका सब पारा मीटर बहुत बढ़ा हुआ है. शुगर, कोलेस्ट्रॉल, यूरिक एसिड सबकुछ रेंज से बाहर है. दवा अपनी जगह है, लेकिन आप अपने लाइफ स्टाइल में परिवर्तन लाइए. रोज सुबह में कम से कम आधा घंटा मोर्निंग वाक कीजिए. इसे मैं अपने प्रेस्क्रिप्शन में अंडरलाइन किए दे रहा हूॅं, बीमार नहीं पड़ना चाहतीं हैं तो इसे आपको follow करना होगा.
*******************************************************
दोसर दिन भोरे पांचे बजे
ओ- उठूऽ; हम तैयार भऽ गेल छी टहलय जेबा'क लेल.
हम(अप्पन आंखि मीरैत)- आंय!आय कि बात भऽ गेलैक? एते दिन सॅं हम कहैत रही ते कोने असरे नै; आय डाक्टर कहल'क ते कोना फुरफुरा'क उठि मोर्निंग वाक लेल तैयार भऽ गेलहुॅं.
घरवला'क नीक सलाह के तऽ कोने भेलुए अहाॅं लंग नहिं छै. वैह सलाह फीस लऽ कऽ डाक्टर देलक तऽ चट दऽ मान'क तैयार भऽ गेलहुॅं.
ओ- बेसी हमरा खौंझाउॅं नै, बुझि लियऽ;से कहि दैत छी.
राजीव रंजन प्रभाकर
१८.०३.२०२३.
Comments