बोर्ड परीक्षा'क रिजल्ट.
एम्हर बूझि पड़ैत जे बोर्ड परीक्षा केर रिजल्ट सब बहरायल ये.बिहार बोर्ड अपन रिजल्ट निकाललक कि नहिं से नहिं पता किंतु आयसीएससी आओर सीबीएसई केर रिजल्ट निकैल गेल अछि. एपार्टमेंटक जतेक विद्यार्थी लोकेन परीक्षा में बैसल छलाह किनको ९० प्रतिशत से कम नम्बर नहिं छैन्ह. जकरे पुछै छी से कहै ये हमको ९२ परसेंट तो कियो कहै ये ९६ परसेंट आदि-आदि. सब खुशी से बताह छैथ. हुनकर गार्जियन लोकैन हुनको से बेसी. सुनाबऽ लेल ओ हमरा लग अबै जाय छैथ अवश्य किंतु किनको हाथ में मिठाई-तिठाई किछु नहि रहैत छैन्ह. ओना हमरा शुगर ये; से मिठाई हम बेसी खाइतो नहिं छी.ओना कियो खुआबऽ चाहता ते हुनकर मन छोट नय भऽ जाय एकर विशेष खियाल राखि हम मना नहिं कऽ सकैत छी; हें! हें! हें!😁. केयो कहै ले आबै छैथ- "अंकल! आय गौट 96 परसेंट" तऽ केयो अकैड़ कऽ कहै छथिन्ह- "99 परसेंट मार्क्स आया है लेकिन मैं अंकल सटिस्फाइड नहीं हूं क्योंकि इंग्लिश में 1 मार्क काट लिया गया है. सोच रहे हैं चैलेंज करने का." **************************************************** इ सब सुनि के हम छगुंता में पड़ि जायत छी...